बिहार बोर्ड मे अहि बेर लागू होयत डिजिटल मार्किंग सिस्टम

    0
    274

    पटना,पटना, मिथिला मिरर: सीबीएसई के तर्ज पर अहि वर्ष स बिहार मे होबय बला मैट्रिक आ इंटर के कंपार्टमेंटल परीक्षा मे डिजिटल मार्किंग सिस्टम स कॉपीक जांच कायल जायत। बोर्ड अध्यक्ष आनंद किशोर कहलनि जे, डिजिटल मार्किंग सिस्टम के तहत सब जिला मे कंप्यूटर के माध्यम स कॉपी जांच कायल जायत। अहि के संगहि कॉपी के सब पेजक स्कैनिंग सेहो कायल जायत, तहन जा कय सर्वर पर अपलोड कायल जायत।

    अहि प्रणाली के शुरू हेबाक बाद गड़बड़ीक संभावना कम भय जायत कियाके  त कॉपी के फिजिकल मूवमेंट नहि भय पायत। अध्यक्ष कहलनि जे, कॉपी जांच के दौरान कोनो प्रश्न के छूटबाक संभावना सेहो समाप्त भय जायत संगहि रिजल्ट सेहो जल्द जारी भय जायत।

    अध्यक्ष के अनुसार, अहि पूरा प्रक्रियाक समीक्षा रिजल्टक बाद अहि बेर कायल जायत आ फेर 2017 की मैट्रिक तथा इंटर के मुख्य परीक्षा मे सेहो अहि प्रकिया के शुरू करबाक लेल निर्णय लेल जायत।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here