दू वर्षक मासूम बेटी के कंठ दबा कय मारि देलक बाप

    0
    232

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनीक हाट परसा गाम मे एकटा निर्दयी पिता अप्पन 2 सालक मासूम बेटी के कंठ दबा कय हत्या कय देलक। बताओल जा रहल अछि जे, मृत बच्चीक पिता राम इकबाल मंडल बच्चा के माँ स दोसर विवाह केने छल।

    सोमदिन देर राति पत्नी स कोनो बात के लय झगड़ा भेल छल जाहि क्रम मे सौतेली बेटीक कंठ दबा कय हत्या कय देलक। सूत्रक अनुसार मृत बच्चीक माँ अप्पन पति के खिलाफ हरलाखी थाना मे शिकायत दर्ज करौलनि।

    हरलाखी थाना प्रभारी संजय कुमार कार्रवाई करैत आरोपी के गिरफ्तार कय लेलनि। दोसर दिस बच्चाक लहास के पोस्टमार्ट रीक्षण के लेल भेजल जा चुकल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here