आब दरभंगा, मुजफ्फरपुर, भागलपुर आ पूर्णियां सं सेहो भेटत हवाई सेवा

    0
    259

    दिल्ली, मिथिला मिरर: यदि अहाँ दरभंगा मुजफ्फरपुर, भागलपुर आ पूर्णिया के आसपास रहैत छी त खुश भय जाउ। केंद्रीय मंत्री महेश शर्मा एलान केलाह जे, बंद पड़ल हवाई अड्डा के अतिशीघ्र चालू कायल जायत, जाहि लेल योजना बनि रहल अछि।

    बिहार मे एखन मात्र पटना आ गया उड़ान सुविधा मौजूद अछि, मुदा केंद्रीय मंत्री महेश शर्मा के अनुसार मुजफ्फरपुर, दरभंगा, भागलपुर आ पूर्णिया मे नियमित उड़ान सुविधा शुरू कायल जा सकैत अछि। सूत्रक अनुसार शुरूआत मे उड़ानक संख्या प्रतिदिन दू सं चारि तक करबाक योजना अछि।

    पर्यटन के हिसाब सं अहम धार्मिक, ऐतिहासिक आ दर्शनीय स्थानक लेल सरकार देश के 65 हवाई अड्डा सं नियमित उड़ान शुरू कराबय बला अछि। देश मे बंद पड़ल 65 टा हवाई अड्डा के सरकार पर्यटक के लुभेबाक लेल विकसित करबाक योजना बना रहल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here