सेल्समैन के घायल कय लुटल गेल डेढ़ लाख रुपैया

    0
    197

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहार मे मुजफ्फरपुर जिलाक सकरा थाना क्षेत्र मे रविदिन राति सैमसंग कंपनी के सेल्समैन संजीत कुमार के घायल कय अपराधी डेढ़ लाख रुपैया लूटि लेलक।

    पुलिस सूत्रक अनुसार संजीत मोबाइल बिक्री के रुपैया लय क जा रहल छल, आ कि तखनहि झिटकाही रोड पर पेट्रोल पंपक समीप दू टा मोटरसाइकिल पर चारि टा अपराधी संजीत के रोकि कय रुपैया छिनबाक प्रयास केलक। संजीत के विरोध केला पर अपराधी संजीत के चक्कू सं मारि कय गंभीर रुप स घायल कय देलक आ डेढ़ लाख रुपैया लूटि कय फरार भय गेल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here