सांसद के खोजि कय लाउ आ 500 रुपैयाक संग 2 किलो चूड़ा पाउ

    0
    258

    भागलपुर, मिथिला मिरर: बिहार मे बाढ़ि सं परेशान लोक अप्पन जनप्रतिनिधि के तलाश मे गुमसुदा के पोस्टर लगा रहल अछि। बाढ़ि क्षेत्रक सांसद आ विधायक क्षेत्र मे घुमबाक बदले छुट्टी मना रहल छथि।जाहि सं परेशान बिहारक भागलपुर जिलाक राजद सांसद के लापता होबाक पर्चा लगा कय अप्पन तामस निकालि रहल अछि।

    चंपानगर के मदनीनगर आ बोरिंगबाड़ी मे बाढ़ि एला 19 दिन भय गेल मुदा एखन धरि राजद सांसद शैलेश कुमार उर्फ बुलो मंडल लोकक हाल जानय लेल नहि अयलाह। जाहि सं आक्रोशित लोक सांसद के लापता हेबाक पोस्टर चिपका रहल अछि। संगहि सांसद के खोजय बला के 500 रुपैयाक नगद इनाम देबाक घोषणा अछि।

    ज्ञात हो कि किछु दिन पहिने बाढ़ि प्रभावित लोक खगड़िया के सांसद चौधरी महबूब कैसर के लापता हेबाक पोस्टर लगेने छल। जाहि मे सांसद के खोजय बला के दू किलो चूड़ा इनाम देबाक घोषणा कायल गेल छल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here