ऑनर किलिंग के शिकार भेल प्रेमी युगल

    0
    208

    सीवान, मिथिला मिरर: सीवान मे ऑनर किलिंग के मामला प्रकाश मे आयल अछि। घटना महाराजगंज के धोबवलिया गामक अछि, जतय युवक आ युवती के लहास गाछ मे लटकाओल पॉल गेल। दूनू मृतक गामहि के बताओल जा रहल अछि। दूनू के शव गामक चौर मे रेलवे ट्रैक तथा नहैर के बीच स्थित शीशो के गाछ मे लटकता भेटल अछि। बृहस्पति दिन भोरे जहन लोक शौच करबाक लेल गेल त घटनाक जानकारी भेटल।

    सूत्रक अनुसार दूनू के बीच बहुत दिन सं प्रेम प्रसंग चलि रहल छल, मुदा दूनू के अंतरजातीय हेबाक कारने परिवार अहि प्रेमक खिलाफ छल। ई आशंका जताओल जा रहल अछि जे, दूनू के ऑनर किलिंग मे हत्या कायल गेल। मृतक गामक बांके साहक इकलौता बेटा जितेन्द्र साह आ मृतिका अहि गामक ईश्वर लाल शर्माक बेटी सबिता कुमारी छलीह। बताओल जा रहल अछि जे, जितेन्द्र गुजरात के सूरत मे कोनो कंपनी मे काम कय रहल छल। ओ गाम आबि कय सीधे लड़की स भेंट करबाक लेल चल गेल छल।

    घटना स्थल सं लड़का के बैग आ अन्य सामान सेहो बरामद कायल गेल अछि। जानकारी के अनुसार दूनूक प्रेम लड़की पक्ष के मंजूर नहि छल। घटना स्थल पर लड़की के मांग मे सिंदूर लागल छल, जहन कि किछु सिंदूर लड़की के कपडा पर सेहो छीटल छल। घटनाक जानकारी भेटलाक बाद पुलिस मौका पर पहुँचि कय मामलाक छानबीन कय रहल अछि।

    फोटो: काल्पनिक

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here