बिहार कैबिनेट मे उद्योग नीति सहित 17 टा एजेंडा पास

    0
    243

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार सरकार के कैबिनेट राज्य मे उद्योग के बढ़ावा देबाक लेल मंगलदिन नव उद्योग नीति के मंजूरी दय देलक। अहि नीति के तहत नव उद्योग पर अगिला पांच साल तक कोनो टैक्स नहि लागत। अहि के अलावा उद्योग लगाबय मे लीज खर्च आ स्टैम्प ड्यूटी के सेहो फ्री कय देलक अछि।

    राज्य सरकार नव उद्योग नीति के अनुसार उद्योग लगेबा के लेल बैंक लोन इंट्रेस्ट मे 10 फीसदी तक सब्सिडी डेत। ओतहि महिला, एसिड अटैक, एसीएसटी आ थर्ड जेंडर के विशेष छूट देबाक प्रावधान कायल गेल अछि।

    मंगलदिन कैबिनेटक बैठक मे उद्योग नीति समेत कुल 18 एजेंडा पर मुहर लगाओल गेल। कैबिनेट के बैठक मे सात निश्चय मे स एक 100 आबादी के टोल के पक्की सड़क स जोड़बा पर सेहो मुहर लागल।अहि के अलावा बाढ़ि राहत के लेल 754 करोड़क राशि एडवांस मे खर्च करबाक मंजूरी देल गेल। संगहि बैठक मे तांती आ ततवां जाति के अनुसूचित जाति मे शामिल करबाक फैसला कायल गेल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here