झंझारपुर मे ललिता देवी नामक महिला देलनि तीन टा बच्चा के जन्म

    0
    191

    मधुबनी, मिथिला मिरर-पारस कुमार ठाकुर: मधुबनीक झंझारपुर अनुमंडल अस्पताल मे 30 वर्षीय ललिता देवी तीन टा बच्चाक जन्म देलनि। ललिता देवी झंझारपुर नगर पंचायत के कुट्टी टोल निवासी प्रदीप चौधरीक पत्नी छथि।

    जन्म लेबाक 15 मिनट बाद एकटा बच्चाक मौत भय गेलनि। जहन कि अन्य दूनू बच्चा के अस्पतालक न्यू वर्ण केयर यूनिट मे राखि कय देख-रेख कायल जा रहल अछि। ललिता देवी तीनू बच्चा के सामान्य रूप स जन्म देने छली। अस्पताल मे जच्चा बच्चा के देखबाक लेल भीड़ उमड़ि पड़ल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here