शिवहर’क डीएम के विवादित बयान, अप्पन जातिक यदि दुश्मनो हुए त वोट हुनके दिय

    0
    197
    शनिदिन कानू समाज द्वारा एकटा कार्यक्रमक आयोजन कायल गेल छल, जाहि मे शिवहर के डीएम विषेश रुप स आमंत्रित अतिथि छलाह। डीएम राजकुमार अप्पन प्रोटोकाल के बिसरैत कानू समाज खूब तारीफ़ केलनि। संगहि कहलनि जे, आबय बला चुनाव मे सब तरहक अप्पन आपसी शत्रुता के बिसरि कय कानू समाजक अधिक सं अधिक उम्मीदवार के जिताऊ।

    डीएम के अहि भाषणक जबाब मे जेडीयू के प्रवक्ता नीरज कुमार मुख्य सचिव स अहि पर संज्ञान लेबाक लेल आ तथ्यक जांच करबाक लेल अपील केलनि। उम्हर भाजपा सेहो डीएम के अहि बर्तावक कड़ी निंदा केलक अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here