20 महिना सं बृद्धा पेंसन नहि भेटलाक कारने ग्रामीण केलनि कलना-जयनगर पथ जाम

    0
    182

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी जिला के हरलाखी प्रखंड अंतर्गत बीटहर पंचयातक ग्रामीण कलना मधुबनी पथ के घंटो धरि जाम केने रहला। लोकक तामस बिहार मे सिस्टम के खिलाफ छल। सूत्रक अनुसार पिछला 20 महीना सं बृद्धा पेंशन योजना स बंचित लोक सब सरकारी दफ्तर के चक्कर कटलाह, सरकारी सेवक सब लग अप्पन गरीबीक बतौलनि मुदा अहि पर कोनो कार्यवाही नहि भेल। ताहि के बाद तमसायल ग्रामीण आय सड़क जाम कय देलनि।

    सड़क जाम के कारण लोक के भाड़ी दिक्कत के सामना करय पड़ल। जामक सुचना पर हरलाखी अँचलाधिकारी स्थानीय मुखियाक संग जाम स्थल पर पहुँचलाह। मुखिया तथा अंचलाधिकारी लोक स बात कय शीघ्र पेंसनक पाई भुगतान करेबाक भरोसा देलनि तहन जा कय जाम खुजल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here