केएल राहुलक शतक बेकार, भारत एक रन सं हारल

    0
    237

    मिथिला मिरर-शिवेश झा: अमेरिका मे चलि रहल भारत वेस्टइंडीज़ टी-20 क्रिकेट सीरीजक पहिल मैच मे वेस्टइंडीज़ भारत के एक रन सं हरा कय सीरीज मे 1-0 के बढ़त हासिल कय लेलक। 245 रनक पहाड़ सन स्कोर के पाछु करैत भारत 20 ओवर मे 4 विकेट पर 244 रन बना सकल। केएल राहुलक के नाबाद 110 रन आ रोहित शर्मा के धुआंधार 62 रनक पारी भारत के जीत दियेबाक बहुत निकट आनि देने छल मुदा अंतिम गेंद पर बाजी पलटि गेल आ भारत एक रन सं हारि गेल।

    भारत के अंतिम गेंट पर 2 रनक दरकार छल, आ सामने 43 रन बना कय दुनियाँक सबसँ पैघ फिनिशर महेन्द्र सिंह धोनी बल्लेबाजी कय रहल छलाह। मुदा आय धोनीक करिश्मा काज नहि आयल धोनी अंतिम गेंद पर आउट भय गेलाह।

    अहि सं पहिने जॉनसन के 79 रन आ लुइस के 100 रनक विस्फोटक बल्लेबाजी के बदौलत वेस्टइंडीज़ 20 ओवर मे 6 विकेट पर 245 रन बनौलक। आय वेस्टइंडीज़ बल्लेबाजीक आगू भारतीय गेंदबाज शुरुए सं बेबस नजरि आबि रहल छल। रविन्द्र जडेजा 4 ओवर मे 39 रन दय 2 विकेट लेलनि, जहन कि बुमराह 47 रन दय क 2 विकेट लेबा मे सफल रहला।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here