बहुत धूम-धाम सं मनाओल गेल कृष्ण जन्मोत्सव

    0
    228

    सुपौल, मिथिला मिरर-सोनू कुमार भगत\रवि रोशन कुमार: कोसी समेत आसपासक क्षेत्रे मे जन्माष्टमीक धूम मचल अछि। शहरक सब कृष्ण मंदिर सहित पूजा पंडाल मे भगवान श्री कृष्णक पूजा अर्चनाक लेल श्रद्धालुक भीड सांझे सं उमड़ल रहल। ओतहि अररिया जिलाक फारबिसगंजक स्टेशन चौक हनुमान मंदिर, बड़ा शिवालय, लक्ष्मीनारायण मारवाड़ी ठाकुरवाड़ी, पंच मुखी हनुमान मंदिर, थाना परिसर स्थित शिव मंदिर, गोदना ठाकुरवाड़ी सब ठाम जन्माष्टमी पर श्रद्धालुक भारी भीड़ देखल गेल।

    कृष्ण मंदिर मे देर राति पूजाक बाद मंदिरक पट श्रद्धालुक लेल खोलि देल गेल। मंदिर मे स्थापित भगवान श्रीकृष्ण तथा राधा के दर्शनक लेल श्रद्धालुक टोली भरि राति जुटल रहल। मौका पर भजन कीर्तनक भव्य कार्यक्रमक आयोजन कायल गेल, जाहि पर श्रद्धालु जमि कय झुमलाह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here