बिहार के 52 गोट इंटर कॉलेजक मान्यता रद्द

    0
    261

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार मे फर्जी रूप सं मान्यता लय क चलि रहल इंटर कॉलेज पर बीएसईबी कार्रवाई केलक अछि। जाहि मे 53 टा कॉलेजक मान्यता के निलंबित कय देलक अछि। टॉपर्स घाटालाक बाद बिहार के कुल 213 टा कॉलेजक जांच के लेल टीम गठित कायल गेल छल। टीम एखन धरि कुल 180 कॉलेजक जांच केलक अछि, जाहि मे 52 टा कॉलेज मानक के कतहु सं पूरा नहि करैत छल।

    कोई कॉलेज चायक दोकान मे चलि रहल छल त कोनो आंटा चक्कीक दुकान मे। बोर्ड जांचक बाद अहि कॉलेजक मान्यता के निलंबित कय देल गेल। सब 52 कॉलेज स शो कॉज सेहो मांगल गेल अछि आ 15 दिन मे संतोषजनक जवाब नहि भेटला पर बोर्ड हमेशाक लेल एहि कॉलेजक मान्यता रद्द कय देत।

    ओतहि बोर्ड अध्यक्ष आनंद किशोर निर्देश देलनि जे, अहि 52 कॉलेज मे रजिस्ट्रेशन करा चुकल छात्र के बगल के अन्य एफिलिएटेड कॉलेज स फॉर्म भरेबाक व्यवस्था कराओल जाय। टॉपर्स स्कैम के बाद बिहारक एहेन बहुत कॉलेज सामने आयल जे मात्र महज कागजे पर चलि रहल हो।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here