भागलपुर बाढ़ि प्रभावित इलाकाक हवाई सर्वेक्षण आय करताह मुख्यमंत्री

    0
    202

    भागलपुर, मिथिला मिरर: बिहार मे बाढ़िक कहर रुकबाक नाम नहि लय रहल अछि। बढ़ि सं ग्रस्त बिहारक जायजा लेबाक लेल मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बृहस्पति दिन सं लगातार दौरा पर छथि।

    अहि क्रम मे शुक्रदिन मुख्यमंत्री भागलपुर आ आसपासक बाढ़िग्रस्त क्षेत्रक दौरा करताह। जानकारीक अनुसार मुख्यमंत्री पटना स दुपहर साढ़े बारह बजे हेलिकॉप्टर स भागलपुर के लेल रवाना हेताह। सूत्रक अनुसार मुख्यमंत्री ओतः बाढ़ि शिविर के दौरा सेहो करताह।

    मुख्यमंत्री के संग मुख्य सचिव अंजनी कुमार सिंह आ आपदा प्रबंधन विभागक प्रधान सचिव व्यास जी सेहो रहताह। ज्ञात हो कि भागलपुर जिला बाढ़ि सं पूर्ण रुपे बेहाल अछि।

    बृहस्पतिदिन नीतीश कुमार मनेर मे बाढ़ि  के संग-संग राहत शिविरक जायजा लेलाह। गंगा कहलगांव समेत भागलपुर मे लगातार खतराक निशान सं पानि उपर बहि रहल अछि। भागलपुर मे गंगा नदी के जल स्तर मे पांच सेंटीमीटरक वृद्धि भेल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here