नेपाल मे 300 फिट नीचां नदी मे खसल बस, 21 गोटेक मौत 17 घायल

    0
    197

    रक्सौल, मिथिला मिरर: नेपालक दक्षिण पश्चिमी चितवन जिला मे राजमार्ग सं एकटा बस पिछड़ि कय नदी मे करीब 100 मीटर’क गहराई मे खसि पड़ल, जाहि मे दू टा महिला समेत 21 गोटेक मौत भय गेल आ 17 गोटे घायल भय गेलाह। सूत्रक अनुसार मृतक मे 4 गोटे बिहारक सेहो बताओल जा रहल छथि।

    सूत्रक अनुसार रात्रिकालीन बस रौतहट स पोखरा जा रहल छल। अहि बीच नारायणगढ़ आ मुगलिंग सड़क खण्डक समीप बस असंतुलित भय गेलाक कारने त्रिशूली नदी मे खसि पड़ल। बस मे 40 टा यात्री सवार छलाह जाहि मे 20 गोटेक घटनास्थल पर मौत भय गेलनि, जहन कि एक गोटे अस्पताल लय जेबा काल दम तोड़ि देलनि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here