बिहारक दू दिना यात्राक लेल कैल्ह पटना पहुँचताह राष्ट्रपति प्रणव मुखर्जी

    0
    218

    पटना, मिथिला मिरर: अप्पन दू दिना बिहार यात्राक दौरान राष्ट्रपति प्रणव मुखर्जी शुक्रदिन साँझ मे पटना हवाई अड्डा पहुँचताह। पटना पहुँचलाक बाद राष्ट्रपति राजभवन मे रात्रि विश्राम करताह।  27 अगस्त क नालंदाक राजगीर मे नालंदा विश्वविद्यालयक पहिल दीक्षांत समारोह मे भाग लेबाक लेल राष्ट्रपति राजगीर पहुँचताह।

    राष्ट्रपति राजगीर मे 11 बजे दुपहर सं 12 बजे तक कार्यक्रम मे रहताह। राष्ट्रपति शनिदिन भोर मे 10 बजे पटना एयरपोर्ट स हेलिकॉप्टर स राजगीरक लेल रवाना हेताह, जहन कि कार्यक्रम के बाद पुनः सवा बारह बजे राजगीर स पटनाक लेल उड़ान भरता।

    पटना एलाक बाद राष्ट्रपति शनिदिन दुपहर मे सवा एक बजे दिल्ली के लेल वापस रवाना हेताह। अहि कार्यक्रम मे विदेश मंत्री सुषमा स्वराज के सेहो एबाक उम्मीद कायल जा रहल अछि। कार्यक्रम के लय क पटना सहित नालंदा मे व्यापक स्तर पर तैयारी कायल जा रहल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here