अवैध रुपे बिहार मे घुसल दर्जन भरि नाइजीरियन नागरिक

    0
    238

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: नाइजीरियन नागरिकक तलाश के लय क समस्तीपुर जिला मे हाई अलर्ट जारी कय देल गेल अछि। घटनाक पुष्टि करैत विदेशी शाखा प्रभारी कहलनि जे, 10 नाइजीरियन नकली वीजाक मददि सं देश मे प्रवेश केलक अछि।  बताओल जा रहल अछि जे, गृह विभाग तलाश जारी करबाक आदेश देलक अछि, जकरा बाद मुख्य रूप सं जिलाक सब सीमावर्ती थाना क्षेत्र मे तलाशी शुरू कायल गेलक अछि।

    ओमहर उत्तर प्रदेश सैन्य हवाई अड्‌डा स दरभंगा के एकटा संदिग्ध अपराधी के पकड़ल गेल अछि।संदिग्धक पहिचान दरभंगाक उमाव गामक हरि सिंह’क रूप मे कायल गेल। बताओल जा रहल अछि जे, संदिग्ध के संग मे एकटा ब्लेड, छोटका सोलर प्लेट, एकटा बैग, चाकू, मोबाइल फोन आ किछु सामान भेटल अछि।

    हालांकि, अहि दूनू मामला के आपस मे कोनो संबंध अछि आ की नहि एकर पुष्टि नहि कायल जा सकल अछि। लेकिन अहि दूनू मामला के नज़रंदाज़ सेहो नहि कायल जा सकैया।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here