आब अहूं के भेटत प्रीपेड टैक्सी सेवा

    0
    228

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहार मे आब सड़क पर यात्री के अधिक परेशान नहि होबय पड़त। बताओल जा रहल अछि जे, एतय जल्दिये प्री पेड टैक्सी’क परिचालन कायल जायत। जनहितक लेल रेल पुलिस उत्सुकतावश अहि सर्विस के लय पहल तेज केलक अछि।

    बताओल जा रहल अछि जे, रेल पुलिस जंक्शन स आवाजाही करय बला टैक्सीक संख्या नोटिस कय रहल अछि। टैक्सीक लेल निर्मित रूट आ किराया के लय क मंथन चलि रहल अछि। रेलवे व्यवस्था’क दिस सं तकनीक के जल्दिये प्रारंभ करय के प्रयास कायल जा रहल अछि। प्रीपेड टैक्सी के शुरू भेला सं यात्री आसानी स एक दोसर जिला धरि आवागमन कय सकत।

    रेल एसपी बीएन झा कहलनि जे, प्रीपेड ऑटो सर्विस शुरू भेल सं यात्री के काफी सुविधा भेटत तथा ऑटोरिक्शा बलाक मनमानी पर रोक लगबाक संग-संग यांत्रिक संग होइ बला अपराधिक घटना सेहो कम होयत।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here