सहायक निरीक्षक दस हजार रुपैया घूस लैत गिरफ्तार

    0
    224

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार राज्य निगरानी अन्वेषण ब्यूरोक एकटा टीम पटना जिलाक जक्कनपुर थाना मे पदस्थ सहायक अवर निरीक्षक अमरजीत कुमार के मंगलदिन एकटा व्यक्ति सं दस हजार रुपैया घूस लैत गिरफ्तार केलक।

    पटना स्थित ब्यूरो मुख्यालय स प्राप्त जानकारिक अनुसार परिवादी आ मीठापुर मुहल्ला के बिहटा कोठी निवासी रवि शंकर सिंह शिकायत केने छलाह जे, अमरजीत कुमार हुनका सं एकटा केस डायरी मे मददि करबाक एवज मे 10 हजार रुपैया घूस मंगलनि।

    रवि शंकर सिंह’क आरोप के सत्यापन करबाक लेल पुलिस उपधीक्षक महाराज कनिष्क कुमारक नेतृत्व मे ब्यूरोक एकटा टीम अमरजीत के आय 10 हजार रुपया घूस लैत जक्कनपुर थाना के सामने सं गिरफ्तार केलक।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here