छठी क्लासक बच्चिया के शिक्षक लिखैत छल अश्लील चिठ्ठी

    0
    243

    घटना मधुबनी जिलाक बिस्फी थाना क्षेत्रक रघौली गाम स्थित सरस्वती शिशु विद्या मंदिर स्कूलक अछि। जतय पढ़य बाली ममता (बदलल नाम) के संग शिक्षक भारत भूषण ठाकुर अश्लील हरकत करय छल। पीड़िता के अनुसार शिक्षक किताब मे खराप बात लिखि कय ममता के दैत छल। संगहि अश्लील हरकत सेहो करैत छल।

    हद त तहन भय गेल जहन गुरुजी घर पर सेहो अश्लील चिट्ठी भेजय लगलाह। पीड़िताक अनुसार अश्लील चिट्ठी किताब मे राखि दैत छल। शिक्षक के अहि हरकत के विषय मे लड़की अप्पन मां के कहलक त माँ के शुरू मे विश्वाश नहि भेल जे शिक्षक एहेन काज कय सकैत अछि। मुदा चिट्ठी देखलाक बाद स्कूलक शिक्षक स जा कय भेंट केलनि मुदा शिक्षक उल्टे ममताक परिजन संग बदसलूकी करय लागल।

    बाद मे पीड़ित लड़की के परिजन शिक्षक के खिलाफ बिस्फी थाना मे मुकदमा दर्ज करबौलनि। हालांकि एखन धरी पुलिस अहि मामला मे कोनो कार्रवाई नहि केलक अछि। स्कूल आरोपी शिक्षक के विद्यालय स निकालि देलक।

    ममता के अनुसार परिवारक लोक के आब लगातार केस वापस लेबाक लेल धमकी भेट रहल अछि। ममता कहलनि जे, जहन शिक्षक के पत्नी सं ई बात कहलियनि त ओ उल्टे हमारे मारय लगली। लड़किक मां के अनुसार अहि घटना के बाद आब लड़की पढ़ाई नहि कय पबैत अछि। घर मे डरल-सहमल बैसल रहैत अछि।

    ओतहि, मधुबनीक एएसपी एके पाण्डेय कहलनि जे, मामलाक जांच कायल जा रहल अछि, दोषी पर जल्द कार्रवाई कायल जायत।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here