विवाहक प्रलोभन दय शोषण करबाक आरोप

    0
    183

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी जिलाक अंतर्गत हरलाखी प्रखंड के खिरहर थाना क्षेत्रक भाला बैंगरा गाम मे एकटा लड़की के विवाहक प्रलोभन दय क एक साल धरि यौन शोषण करबाक मामला प्रकाश मे आयल अछि। जहन लड़की विवाहक बात केलि त लड़का मना कय देलक।

    सूत्रक अनुसार अहि संबंध मे लड़किक पिता के बयान पर थाना मे गामक चारि गोटे पर प्राथमिकी दर्ज कायल गेल अछि। जाहि मे, संतोष सादा, रामयतन सादा, रामबरण सादा सहित चारि गोटे के नामजद कायल गेल। दर्ज प्राथमिकी मे कहल गेल अछि जे, संतोष सादा पिछला एक साल स विवाहक प्रलोभन दय क शोषण का्य रहल छल। मुदा जहन विवाहक बात भेल त संतोष मना कय देलक।

    जहन अहि बैठक जानकारी संतोष क परिजन के देल गेल त परिजन सेहो अहि बात सं इंकार करैत लड़की पर संतोष के फसेबाक आरोप लगेलक। पुलिस लड़किक मेडिकल जाँच करेबाक लेल मधुबनी भेज देलक अछि। थानाध्यक्ष विक्रम झा बतौलनि जे, मामलाक जाँच कायल जा रहल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here