पुनपुन नदी मे नाव पलटला सं 15 गोटे लापता

    0
    202

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारक औरंगाबाद मंगलदिन साँझ मे उफ़नैत पुनपुन नदीक चपेट मे आबि कय एकटा नाव पलटि गेल, जाहि सं 15 गोटे नदी मे बहि गेल। जकरा बाद सब के खोजबाक प्रयास जारी अछि। घटना के लय क स्थानीय लोक मे प्रशासनक खिलाफ आक्रोश अछि।

    सूत्रक अनुसार औरंगाबाद के पुनपुन कलेन घाटक निकट एकटा ओवरलोड नाव अचानक नदिक तेज धार के चपेट मे आबि कय पलटि गेल। बताओल जा रहल अछि जे, तेज लहर के कारने डगमगाइत नाव पर सवार ग्रामीण मे अफरा-तफरी मचि गेल जाहि सं नाव के संतुलन बिगड़ि गेल।

    दुर्घटनाक बाद स्थानीय लोक तत्काल राहत तथा बचाव कार्य आरंभ कय देलनि। जाहि मे एकटा महिला के सुरक्षित निकालल जा चुकल अछि आ 15 गोटे एखनहु लापता छथि। घटना के बाद पुनपुन कलेन घाट पर दाउदनगर के एसडीओ राकेश कुमार कैंप लगेने छथि। मुदा ग्रामीण मे विलंब स आरंभ भेल प्रशासनिक राहत तथा बचाव कार्यक लेल अाक्रोश देखा रहल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here