शराबबंदी कानूनक खिलाफ दू अक्टूबर क चक्का जाम करबाक फैसला

    0
    224

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहार मे वर्तमान शराबबंदी कानूनक खिलाफ ‘बिहार मोटर ट्रांस्पोर्ट फेडेरेशन’ उग्र आंदोलनक चेतावनी देलक अछि। रविदिन फेडरेशन के प्रदेश अध्यक्ष उदय सिंह’क अध्यक्षता मे प्रदेश कमिटीक पदाधिकारी के मुजफ्फरपुर मे आपात बैसक बजाओल गेल।

    बैसक के बाद फेडेरेशन आगामी 2 अक्टूवर क प्रदेश में चक्का जाम करबाक निर्णय लेलक, जाहि मे कोनो तरहक वाहन के सड़क पर नहि चलय देल जायत। फेडेशन शराबबंदी कानूनक एक प्रावधान के खिलाफ अछि, जाहि मे गाड़ी मे शराब भेटलाक बाद गाड़ी जब्त कय चालक आ खलासी के जेल भेज देल जायत अछि।

    उदय सिंह’क कहब अछि जे, पैसेंजरक सब सामान चेक कय गाड़ी मे बैसेने संभव नहि अछि। कोनो पैसेंजर यदि चोरा कय गाड़ी मे शराब लय जायत अछि त, हुनके खिलाफ कार्रवाई हेबाक चाही।लेकिन नव शराब नीती के तहत राज्य मे एखन धरि 40 टा बस जब्द कय अधिकारी के जेल पठाओल जा चुकल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here