राजकोष पर पहिल अधिकार बाढ़ि पीड़ित के: नीतीश कुमार

    0
    190
    पटना, मिथिला मिरर: मुख्यमंत्री नीतीश कुमार रविदिन बाढ़ि प्रभावित क्षेत्र मे अधिकारी स बाढ़िक स्थिति पर निरंतर निगरानी रखबाक निर्देश देलनि। ओ कहलनि जे, प्रभावित इलाका मे बचाव दलक संग आवश्यक दवाई, राशन एवं पिबाक पानि रहनाइ आवश्यक अछि। नीतीश कुमार सचिवालय मुख्य सभागार मे अधिकारी स कहलनि जे, रिलिफ कैंप मे रोशनीक व्यवस्थाक संग स्त्री एवं पुरुषक लेल अलग-अलग शौचालय उपलब्ध कराओल जाय।
    मुख्यमंत्री स्वच्छताक सेहो विशेष ध्यान रखबाक लेल कहलनि। ओ कहलनि जे, राहत शिविर मे लोक घर पर अप्पन सब किछु छोड़ि कय अबैत अछि ताहि दुआरे प्रभावित लोक के लेल न्यूनतम वस्त्रक व्यवस्था हेबाक चाही, जकरा लेल राशि मुख्यमंत्री राहत कोष स उपलब्ध कराओल जायत। मुख्यमंत्री कहलनि जे, माल-जाल के प्रभावित क्षेत्र सं बाहर निकालबाक लेल पैघ नाव के आवश्यकता अछि।
    मुख्यमंत्री कहलनि जे, दियारा क्षेत्र तथा बाढ़ प्रभावित क्षेत्र के गाम के निरंतर पेट्रोलिंग कराओल जाय।अधिकारी सब के आदेश दैत नीतीश कहलनि जे, एखन हमरा राहत शिविर तथा पशु राहत शिविर, दवाई, राशन, पशुक लेल चारा आदि पर ध्यान केंद्रित करबाक चाही। ओ कहलनि बाढ़ ग्रस्त लोक के हरसंभव मदद देल जाऊ, राजकोष पर सबस पहिल अधिकार आपदा पीड़ित के छैन्ह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here