मधुबनी मे अगिलगि सं दर्जनो घर जरि क खाक

    0
    196

    मधुबनी, मिथिला मिरर-पारस कुमार ठाकुर: मधुबनीक मधेपुर प्रखंडक बरसाम पंचायत के परसौनी गांव मे रविदिनक राति मे करीब दस बजे लागल आगि मे सात परिवारक एक दर्जन घर जरि कय राख भय गेल। जाहि मे करीब चारि लाखक संपत्ति जरबाक अनुमान अछि, संगहि एकटा महिष जरि कय मरि गेल आ एकटा बाछी झुलसि कय जख्मी भय गेल अछि।

    सूत्रक अनुसार आगि देर राति कोनो घरक चूल्हा स उठल राखक चिंगारी स लागल। जकरा बाद आधा घंटाक भीतर मो मंसूर, बसिया खातून, अनीशा खातून, मो मंजूर, मो सफरुद्दीन, खुर्शीदा खातून, तथा मोतीउर रहमानक आवासीय घर जरि कय खाक भय गेल। आगि मे अनाज, कपडा, बर्तन, नगदी सहित करीब चार लाखक परिसंपत्ति जरि गेल। बाद मे ग्रामीणक तत्परता स चापाकलक पानि सं तथा होंडा पम्प सेटक सहारे आगि पर काबू पाओल जा सकल।

    सोमदिन सीओ अशोक कुमार सिन्हा, सीआई प्रमोद कुमार साहु, वरिष्ठ जदयू नेता चंचल कुमार, प्रखंड जदयू अध्यक्ष जीबछ झा, विधायक प्रतिनिधि मो खुर्शीद आलम घटना स्थल परसौनी गाम पहुँचि कय  पीड़ित परिवारक सुधि लेलनि। सीओ अशोक कुमार सिन्हा कहलनि जे, प्रभावित परिवार के सरकारी प्रावधानक तहत राहत तथा पॉलीथीन सीट उपलब्ध कराओल जा रहल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here