पप्पू यादव बिहार मे शराब बंदी के खिलाफ सर्वोच्च न्यायालय जेताह

    0
    204

    पटना, मिथिला मिरर: ओना त बिहार मे पूर्ण शराबबंदी कानून लागू भेलाक बाद सबदिन राजनीति गरमा रहल अछि, मुदा गोपालगंज मे जहरीला शराब पीलाक सं 17 लोकक मौत के बाद अहि मे और तेजी आयल अछि।

    अहि क्रम मे जन अधिकार मोर्चाक प्रमुख सांसद पप्पू यादव शराबबंदीक मुद्दा लय क सर्वोच्च न्यायालय जेबाक बात कहलनि। पप्पू यादव मीडिया स बातचीत मे गोपालगंज घटना के सीबीआई जांचक मांग सेहो कयलनि। पप्पू यादव शराबबंदी के मुद्दा पर कहलनि जे, ई सरकारक नीक प्रयास अछि। अहि पर अमल हेबाक चाही। मुदा शराबबंदी के नाम पर लोक के परेशान नहि करबाक चाही।

    पप्पू यादव सरकार दिस स गोपालगंज घटना के बाद मुआवजा देबाक बात पर कहलनि जे, मात्र मुआवजा कोनो हल नहि छैक। दलितक उत्पीड़न पर पप्पू यादव कहलनि जे, अहि विषय पर पार्टी एकटा विशेष अभियानक शुरुआत करत।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here