पूर्णिया मे लहराओल गेल सात किलोमीटरक सब सं पैघ तिरंगा

    0
    242

    मिथिला मिरर: शनिदिन बिहारक पूर्णिया मे 7 किलोमीटर लम्बा तिरंगा लहरेलाक बाद सार्वजनिक प्रदर्शन कायल गेल। अहि तिरंगा के मानव श्रृंखलाक तरह एनएच 31 पूर्णिया जीरो माइल स बरसोनी गाम धरि सजाओल गेल। अहि कार्यक्रमक उपरांत आयोजक दावा केलनि जे ई तिरंगा एखन धरिक सब स पैघ तिरंगा अछि, जे विश्व रिकॉर्ड बनाउत।

    अहि सं पहिने ई कार्यक्रम 15 अगस्त क हेबाक छल मुदा सुरक्षा कारण स जिला प्रशासन 15 अगस्त क अहि आयोजनक अनुमति नहि देने छल, ताहि कारने अहि कार्यक्रमक आयोजन आय कायल गेल छल।

    सूरत स 8000 मीटर कपड़ा 7100 मीटर लंबा झंडा तैयार करबाक लेल मंगाओल गेल छल। कार्यक्रम मे काफी संख्या मे स्कूली बच्चा, 2000 वोलेंटियर के अलावा हजारो के संख्या मे लोक भाग लेलनि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here