झंझारपुर सांसद वीरेंद्र चौधरी निकाललनि तिरंगा यात्रा

    0
    214

    मधुबनी, मिथिला मिरर: प्रधानमंत्री तिरंगा यात्रा के आगू बढ़बैत शुक्रदिन झंझारपुर संसदीय क्षेत्रक सांसद वीरेंद्र कुमार चौधरी अप्पन क्षेत्र मे यात्राक आयोजन केलनि। चौधरी अहि तिरंगा यात्रा के अंधरा ठाढ़ी स डेबहार धरि तथा बाबूबरही, खाजेडीह होइत लदनियां धरि लय गेलाह जाहि मे स्थानीय नेताक संग बहुतो लोक जुटल। संगहि सांसद महरैल गामक स्वतंत्रता सेनानी स्व० मुकुंद झाक पुत्र बधू भैरवी देवी के शाल दय क सम्मानित केलनि।

    ज्ञात हो कि किछु दिन पहिने प्रधानमंत्री के अहि तिरंगा यात्रा के बढ़बैत केंट्रीय स्वस्थ्य मंत्री जेपी नड्डा बिहारक मुजफ्फरपुर पहुचल छलाह। जाहि ठाम ओ तिरंगा यात्रा के आयोजन पर भाजपा कार्यकर्ताक संग बातचीत कय अहि यात्रा के आगू बढ़बैत रहबाक बात कहने छलाह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here