बिहार मे राजद नेताक गोली मारिकय हत्या

    0
    243
    बताओल जा रहल अच्छ जे, नवगछिया थाना क्षेत्रक रसलपुर निवासी राजद नेता तथा बाहुबली विनोद यादव के मोटरसाइकिल सवार अज्ञात अपराधी गोली स छलनी कय देलक। सूत्रक अनुसार विनोदक शरीर पर 5-6 टा गोली लागल अछि। कहल जा रहल अछि जे, अपराधी लगभग 20 राउंड फायरिंग केलक।एखन धरि घटनाक कारण के पता नहि चलल अछि। मौके पर पहुंचल पुलिस मामलाक छानबीन मे जुटल अछि।
    ज्ञात हो कि विनोद यादवक पुरान आपराधिक इतिहास रहल अछि। किछु दिन पहिने सेहो रंगरा मे प्रखंड प्रमुख के विजय जुलूसक दौरान भेल गोली-बारी मे प्रखंड प्रमुख के पक्ष स विनोद यादव के आरोपित कायल गेल छल। करीब तीन वर्ष पहिने ठीक अहि अंदाज मे चारि टा अपराधी विनोद यादव पर हमला केने छल, जाहि मे विनोद बाल-बाल बचल छलाह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here