अमेरिकी शोधकर्ता केलनि मिथिला विश्वविद्यालय मे तबला पर युगलबंदी

    0
    195

    दरभंगा, मिथिला मीरर: ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के संगीत एवं नाट्य विभाग में शुक्रदिन एकटा अमेरिकी युवा शोधकर्त्ता विभागीय छात्रक संग तबला पर युगलबंदी कय रियाज केलनि।अमेरिका स कायल नामक ई युवा शोधकर्त्ता पुना विश्वविद्यालय मे भारतीय आ पश्चिमी संगीत मे तुलनात्मक शोध कय रहल छथि।

    भारत भ्रमण के दौरान कायल दरभंगा पहुँचाह त विश्वविद्यालय के कुलपति प्रो साकेत कुशवाहा स भेंट केलनि, आ संगीत विभागक शिक्षक तथा छात्रक संग भेंट करबाक इच्छा व्यक्त केलनि। जकरा बाद कुलपति विभागाध्यक्ष के सुचित कय विभाग भेज देलनि। वीभागाध्यक्ष डा पुष्पम नारायण कायल के तबला पर छात्रक संग युगलबंदीक व्यवस्था करौलनि।

    विभागक तबला वादक शिवनारायण महतो कायल के तबला वादनक टिप्स देलनि। बाद मे कायल के परिचय परिचय शिक्षक सब से कराओल गेल। कायल के तबलावादनक संबंध मे पूछला पर विभागाधयक्ष बतौलनि जे, अमेरिकी बीट्स भारतीय बीट्स स भिन्न होईत अछि मुदा एकरा बावजूद कायल युगलबंदी करबाक प्रयास केलनि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here