दिसंबर मे होयत टीईटी’क परीक्षा, ऑनलाइन करय पड़त आवेदन

    0
    218

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार विद्यालय परीक्षा समिति दिसंबर मे टेट यानि शिक्षक पात्रता परीक्षा करेबाक तैयारी मे जुटि गेल अछि। बोर्डक अध्यक्ष आनंद किशोर बुधदिन पटना मे एकटा कार्यक्रमक दौरान कहलनि जे, दिसंबर मे परीक्षा लेल जायत, ताहि लेल बोर्ड हरसंभव प्रयास कय रहल अछि।

    ओ कहलनि जे, जल्दिये परीक्षाक लेल विज्ञापन निकाल जायत आ अधिसूचना जारी कायल जायत।आनंद किशोर कहलनि जे, बोर्ड परीक्षाक लेल ऑनलाइन आवेदन लेबाक तैयारी कय रहल अछि, ताकि पारदर्शिता बरतल जा सकय।

    अप्पन वक्तव्य मे आनंद किशोर बिहार बोर्ड मे कि बदलाव आनल जा रहल अछि, केहेन परीक्षा लेल जायत तथा मूल्यांकन कोनो हेबाक चाही ताहि पर विस्तृत चर्चा केलनि। कार्यक्रम मे शामिल शिक्षा मंत्री अशोक चौधरी बोर्डक कार्यव्यवस्था के पारदर्शी बनेबाक बात कहलनि। मंत्री कहलनि जे परीक्षा यूपीएससी के तर्ज पर कोडिंग प्रणाली पर आधारित हेबाक चाही, जाहि स गड़बड़ी नहि हेबाक संभावना कम रहय।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here