नीतीश कुमार पांच टा नव मेडिकल कॉलेज खोलबाक घोषणा केलनि

    0
    185

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार महागठबंधन सरकारक न्यूनतम साझा कार्यक्रम ‘सात निश्चय’ स जुड़ल विभिन्न योजना सहित प्रदेश मे पांच नव मेडिकल कॉलेजक स्थापना के संगहि साथ गोट अन्य योजनाक सोमदिन घोषणा केलनि।

    70वां स्वतंत्रता दिवस केर मौका पर पटना के ऐतिहासिक गांधी मैदान मे राष्ट्र ध्वज तिरंगा फहरेलाक बाद अप्पन संबोधन मे नीतीश घोषणा केलनि जे, विकसित बिहारक 7 निश्चय के तहत आर्थिक हल युवा के बल के निश्चयक अन्तर्गत अहि वर्ष गांधी जयन्ती आगामी 2 अक्टूबर स युवा के लेल समेकित कार्य योजना लागू कायल जायत।

    ओ कहलनि जे, जिला मुख्यालय मे निर्माणाधीन पंजीकरण एवं परामर्श केन्द्र मे युवा के ऑनलाइन पंजीकरण होयत आ युवा अप्पन इच्छानुसार निम्न योजनाक लाभ लय सकताह। नीतीश कहलनि जे, सात निश्चय मे शामिल उच्च शिक्षा प्राप्त करबाक लेल स्टूडेंट्स क्रेडिट कार्ड योजनाक तहत 4 लाख तक के शिक्षा ऋण प्राप्त कय सकैत छथि।

    स्वयं सहायता भत्ता योजनाक अन्तर्गत 20 स 25 वर्षक बेरोजगार युवा के रोजगार तलाश करबा के दौरान सहायताक तौर पर 1000 रुपैया प्रतिमाहक दर स स्वयं सहायता भत्ताक सुविधा दू वर्ष धरि देल जायत। ओ कहलनि जे, राज्यक सब सरकारी विश्वविद्यालय एवं कालेज मे निशुल्क वाई-फाई के सुविधा फरवरी 2017 स उपलब्ध भय जायत।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here