आरा मे सेक्स रैकेटक भंडाफोड़, 17 महिला सहित 23 गिरफ्तार

    0
    306

    आरा, मिथिला मिरर: शनिदिन आरा पुलिस गुप्त सूचनाक आधार पर धर्मन चौक इलाका स देह व्यापार मे संलिप्त 17 महिला समेत 23 गोटेक गिरफ्तार कयलक। लड़कीक संग महिला आ पुरुष के सेहो गिरफ्तार कायल गेल। कार्रवाईक दौरान भारी मात्रा मे आपत्तिजनक सामान सेहो बरामद कायल गेल।

    शहरक भीड़ भाड़ बला इलाका धर्मन चौक पर अचानक भेल छापेमारी के लेल पुलिस कड़ा बंदोबस्त केने छल। पुलिस महिलाक सेक्स रैकेट संचालक तथा सहायिका मानि कय सख्ती स पूछताछ कय रहल अछि।ज्ञात हो कि ई चौक पहिनहु स मुजराक लेल जानल जाइत अछि। जाहि समय पुलिसक छापेमारी भेल ताहि समय चारि जोड़ा लड़का-लड़की आपत्तिजनक स्थिति मे पकड़ल गेल। जहन कि अन्य लड़की ग्राहकक एबाक इंतजार मे छल।

    छापामारीक बारे मे जानकारी दैत भोजुपर एसपी क्षत्रनील सिंह कहलनि जे, गिरफ्तार महिला मे स किछु संचालिका सेहो बताओल जा रहल अछि। ओतहि एसपी गिरफ्तार सब महिला आ पुरुष के सत्यापनक बाद आगुक कार्रवाईक बात कहलनि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here