दरभंगा मे भाजपा जरेलक मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक पुतला

    0
    213

    दरभंगा, मिथिला मिरर: सोमदिन दरभंगाक एकटा व्यवसायी पर भेल गोलीबारीक घटना के विरोध मे आय मंगलदिन जिला भाजपा के तरफ स विरोधा सभा सह पुतला दहन कार्यक्रमक आयोजन कायल गेल छल।अहि अवसर पर सैकड़ो बीजेपी कार्यकर्ता आयोजन मे भाग लेलक।

    कार्यक्रम के संबोधित करैत नगर विधायक संजय सरावगी कहलनि जे, बिहार मे एक बेर फेर जंगलराज कायम भय गेल अछि। लोक घर स निकलई मे डरि रहल छठी। आए दिन सरेआम गोली मारबाक घटना के अंजाम देल जा रहल अछि। खुलेआम लोक के फोन पर फिरौती के लेल धमकाओल जा रहल अछि।सुशासन बाबू शराबबंद कानूनक डफली पीट रहल छठी आ कानून व्यवस्थाक सत्यानाश भय रहल अछि।अहि अवसर पर भाजपा कार्यकर्ता मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक पुतला दहन कय सरकारक विरोध कयलनि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here