शार्ट सर्किट स लागल आगि मे हजारो के संपत्ति राख

    0
    210

    सुपौल, मिथिला मिरर-सोनू कुमार भगत\रवि रौशन कुमार: छातापुर प्रखण्डक भीमपुर पंचायत निवासी पूर्व उप-मुखिया योगानंद यादव तथा वर्तमान सरपंच ललिता देवीक घर मे बृहस्पति दिन लागल अचानक आगि स दू टा घर सहित हजारो रुपैयाक संपत्ति जलि कय राख भय गेल। जानकारीक अनुसार भीषण गर्मी स त्रस्त योगानंद यादव के परिजन घरक समीप स्थित गाछक निचां बईस कय आराम कय रहल छलाह, आ कि ताबेत देखई छथि जे, बिजलीक शार्ट सर्किट स घर मे आगि लागल।

    दिनक समय रहलाक कारने बेसी संख्या मे लोक जुटि कय आगि पर काबू पउलाह। मुदा ताबेत धरि पूर्व मुखियाक घर सहित सब सामान जड़ि कय राख भय गेल। घटनाक सुचना भेटला पर पहुँचल दमकल स पूर्वहिं आगि मिझा जेल छाल। योगानंद यादव कहलनि जे, अहि आगि मे हमर घरेलु सामान सहित किछु महत्वपूर्ण सामानक छति भेल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here