जमीन विवाद मे ग्रामीण केलनि पथराव, दरोगा समेत बहुतो पुलिस घायल

    0
    196

    भागलपुर, मिथिला मिरर: भागलपुर जिलाक सजौर मे जमीन विवाद के लय आय आक्रोशित भीड़ के पथराव मे थाना प्रभारी समेत बहुतो पुलिसकर्मी गंभीर रूप स घायल भय गेलाह। एकरा बाद आक्रोशित ग्रामीण आरोपी के गिरफ्तारीक मांग लय भागलपुर-सजौर मुख्य मार्ग के जाम कय देलनि। हंगामाक बाद सूचना पाबि कय सजौर थानाअध्यक्ष अमर कुमार दलबलक संग घटनास्थल पर पहुचल छलाह।

    अहि दौरान थाना प्रभारी आक्रोशित ग्रामीण के समझेबाक केलनि मुदा ग्रामीण पथराव शुरू कय देलनि। पथरावक अहि घटना मे थाना प्रभारी अमर कुमार समेत बहुतो पुलिस घायल भेल छथि। सूत्रक अनुसार थाना प्रभारी के इलाजक लेल भागलपुर भेजल जेल। जाहि के बाद ग्रामीण के नियंत्रित करबाक लेल चारि गोट थाना के मौका पर पहुंचय पड़ल, तहन जा कय स्थिति नियंत्रित भेल। फिलहाल स्थिति नियंत्रित अछि आ पुलिस बल घटनास्थल पर कैंप लगा कय पहरा दय रहल छथि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here