शादीशुदा साईर स विवाह करबाक लेल पहुचल कोर्ट, त धमकि पड़ल पत्नी आ साढू

    0
    233

    भभुआ, मिथिला मिरर: भभुआ सिविल कोर्ट परिसर मे बुधदिन अजीब-गरीब मामला देखल गेल। शादीशुदा आ एकटा बच्चाक पिता रामराज सिंह अप्पन विवाहित साईर संग विवाह करबाक लेल कोर्ट पहुचल। मुदा किछुए क्षणक बाद रामराजक पत्नी अप्पन बच्चा के लय कोर्ट पहूची गेली, आ पति स विवाह नै करबाक गुहार करय लगली। सूत्रक अनुसार रामराज के साईर संग बहुत पहिनहि स संबंध छल। मामला भभुआ के भगवानपुर थाना क्षेत्रक अछि।

    कोर्ट परिसर मे एखन मामला सुलझलो नहि छल आ कि कहानी मे एकटा और रोचक मोर आबि जेल।रामराज सिंहक साईरक पति यानि रामराज के साढू गुड्डू सिंह अप्पन तीन गोट बच्चाक संग कोर्ट परिसर मे पहुंच गेल। गुड्डू सिंह रामराज के खूब बात कहलनि आ संगहि चेतावनी देलनि जे, कोनो कीमत पर ई विवाह नै भ सकैत अछि।

    हंगामा के देखैत कोर्ट परिसर मे पूरा नजारा फिल्मी सन लागई छल। जानकारी भेटलाक बाद पुलिस सब के थाना लय जा कय आपस मे सोलह करौलक।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here