सुपौलक छातापुर कें चुन्नी पंचायतक मुखिया सं 2 लाख 75 हजार टकाक लूट

    0
    214

    सुपौल,छातापुर,मिथिला मिरर-सोनू भगत/रवि रोशन भगतः सुपौल जिलाक छातापुरकें चुन्नी पंचायतक मुखिया सदानंद चौधरीक गाड़ी केर डिक्की सं मंगलदिन दुपहरियामे अज्ञात चोर 2 लाख 75 हजार टका चंपत कए देलक। दिन-देखारे भेल इ घटनाक बाद बजारमे अफरा-तफरी सं महौल बनि गेल। चुन्नी पंचायतक मुखिया मंगलदिन किछु विशेष काज निपटेवाक लेल स्टेट बैंक आॅफ इंडिया सं इ रकम निकासी कए बस स्टाॅप लग अवस्थित एटीएम सं सेहो किछु टका निकालवाक लेल गेल छलाह।
    अहि क्रममे बैंके सं पाछू लागल चोर घटनाकें अंजाम दए चलैत बनल। घटनाक बाद निराश मुखिया कहला जे हुनका अहि टकाक बहुत बेसी आवश्यकता छलनि आ ओहि लेल ओ एकर निकासी केने छलाह। टका चोरी भेलाक बाद परेशान मुखिया आसपासक लोक सब सं सेहो खोज पुछारी केलाह मुदा ओहोठाम कोनो फायदा नहि भेलनि। बाद मे हारि-थाकि पुलिसमे शिकायत दर्ज करवेलाह। घटनाक सूचना भेटलाक बाद पुलिस छानबीनमे जुटि गेल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here