मांझीक गढ़ मे नक्सली सटलक पोस्टर

    0
    196

    गया, मिथिला मिरर: गया मे नक्सली के एकटा और गतिविधि प्रकाश मे आयल अछि। नक्सली अहि बेर पोस्टर साईट कय पूर्व मुख्यमंत्री जीतन राम मांझी स सवाल पूछलक। गया के इमामगंज थाना क्षेत्र के गुरिया बाजार मे भाकपा-माओवादी पोस्टर और बैनर लगा कय मांझी के घेराव केलक।

    पूर्व मुख्यमंत्री जीतन राम मांझी के इलाका मे नक्सली हुनका स कतेको सवाल पुछलकनि। पोस्टर लगेबाक सूचना पर पहुँचल पुलिस बैनर आ पोस्टर के जब्त कय लेलनि। माओवादी मांझी स पूछलक जे, अहाँ महादलित जाति स अबै छी, मुदा अहाँक चरित्र सामंती-पूंजीवादी मे किया बदलि गेल। माओवादी पुछलक जे, भाजपा, आरएसएस, विश्व हिन्दू परिषद, बजरंग दल, शिव सेना समुच्चा देश मे दलित, महादलित तथा अल्पसंख्यक वर्ग पर लगातार हमला कय रहल अछि, बावजूद एकरा विरोध नहि कय अहाँ कोन नैतिक्ताक आधार पर एकर समर्थन कय रहलहुँ।

    फिलहाल पुलिस पूरा मामलक छानबीन मे जुटल अछि। ज्ञात हो कि इमामगंजक इलाका नक्सल बाहुल्य क्षेत्र अछि। बाजार मे नक्सलीक अहि कार्रवाईक बाद हड़कंप मचल अछि। ज्ञात हो कि मांझी गया जिलाक इमामगंज विधानसभा क्षेत्रक प्रतिनिधित्व कय रहलाह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here