नरसिंह यादवक ओलंपिक जेबाक रास्ता साफ

    0
    205

    ज्ञात हो कि नरसिंह 74 किलोग्राम भारवर्ग मे भारत के ओलंपिक कोटा दियेने छलाह, मुदा डोपिंग मे फंसलाक बाद हुनकर रियो जेबाक रास्ता बंद भय गेल छलनि। नाडा के महानिदेशक नवीन अग्रवाल कहलनि जे, अहि पूरा प्रकरण मे नरसिंह यादव के कोनो गलती नै छन्हि ताहि कारने प्रतिबन्ध हटाओल जा रहल अछि। ओ कहलनि जे, प्रतिद्वंद्वी खिलाड़ी द्वारा नरसिंह के छवि खराब करबाक प्रयास कायल गेल छल।नरसिंह आब पांच अगस्त स ब्राजील के शहर रियो मे शुरू होबय जा रहल ओलंपिक खेल मे 74 किलोग्राम भार वर्ग मे हिस्सा लेबाक लेल स्वतंत्र छथि। प्रतिबन्ध स बरी हेबाक बाद नरसिंह कहलनि जे, हम नाडा के प्रतिबन्ध हटेबाक लेल धन्यवाद दैत छी, संगहि हम डब्ल्यूएफआई के अध्यक्ष ब्रजभूषण शरण सिंह के सेहो धन्यवाद दैत छियनि जे सदिखन हमर संग देलाह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here