बिहार मे फर्जी मानवाधिकारक भंडाफोड़, रुपैया स भेटैत छल न्याय

    0
    230
    जानकारी के मुताबिक, गया जिलाक बागेश्वरी रोड मे फर्जी अंतरराष्ट्रीय मानवाधिकार संस्थाक संचालन प्रशासन आँखिक सोझाँ कायल जा रहल छल। राजेश कुमार नामक एकटा अधिवक्ता, मानवाधिकार के नाम पर ट्रस्ट बना कय स्वं संस्थाक चेयरमैन आ प्रशासक बनल छलाह। राजेश कुमार 26 फरवरी 2008 क नौ लोकक सहयोग स सब रजिस्ट्रार दिल्ली मे ट्रस्टक निबंधन करौलाह आ संस्थाक क्षेत्रीय कार्यालय बागेश्वरी रोड के बैरागी में स्थापित केलाह।

    ठगी के शिकार किछु पीड़ित व्यक्ति दाउदनगर थाना मे शिकायत दर्ज करौलन्हि। जकरा बाद औरंगाबाद एसपी दाउदनगर एसडीपीओ के जांचक जिम्मा देलन्हि। दाउदनगर एसडीपीओ जांच कय पुलिस अधीक्षक के रिपोर्ट सौंपलाह, जाहि मे अहि बात पर जोड़ देल जेल छल कि एकटा गुप्त संस्था मानवाधिकारक नाम पर लोक स रुपैया ठकबाक काज कय रहल अछि संगहि अनाधिकृत रूपे न्यायिक कार्यक निपटारा सेहो कय रहल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here