भारत-नेपाल सीमा पर हिंसक झड़प, दर्जनो घायल

    0
    186

    निर्मली के कुनौली अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल। जहन कि दुनू देशक बीच तनावक स्थिति बनल अछि।

    ज्ञात हो कि नेपाल मे मूसलाधार बारिशक कारने नेपाल स आबै बला खारो नदी उफना गेल, जाहि के चपेट में आबि कय कुनौली बॉर्डर पर स्थित नोमेंस लैंड बांध ध्वस्त भय गेल। जाहि मे सुपौल जिलाक सीमावर्ती कुनौली, डगमारा, कमलपुर सहित दर्जनो गाम मे बाढ़िक पानि घुसि गेल और भारतीय प्रभागक हजारो एकड़ मे लागल फसल बर्बाद भय जेल। हालांकि भारतीय प्रभागक सीमावर्ती इलाका के लोकक तथा बिहार के जलसंसाधन विभागक नेतृत्व मे ध्वस्त भेल बांधक पुनर्निर्माण कार्य शुरु कायल गेल छल, परंतु बांध के पुनर्निर्माण के विरोध मे नेपाल प्रभागक भारी संख्या मे लोक निर्माण पर रोक लगेबाक लेल उपस्थित भय गेलाह। जकरा बाद भाड़ी संख्या मे भारतीय नागरिकक हुजूम सेहो बांध निर्माण कार्य स्थल पर पहुच निर्माणक समर्थन करय लगलाह, जकर बाद मामला उग्र रुप अख्तियार कय लेलक।

    निर्मली एसडीओ के अनुसार दुनू देशक अधिकारिक बीच बैसक बुलाओल गेल अछि, जाहि मे सप्तरी जिलाधिकारी, सुपौल जिलाधिकारी समेत अन्य अधिकारी भाग लेताह। ओ कहलनि जे, बैसक मे दुनू देशक किसानक समस्या के देखैत सर्वसम्मति स ठोस निर्णय लेल जायत।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here