फेर बढ़ल कोसीक जलस्तर, लोक घर छोड़ि कय भगबाक लेल मजबूर

    0
    217
    जलस्तर मे वृद्धि के कारण कोसी के पूर्वी एवं पश्चिमी तटबंध के बीच बसल गामक स्थिति एक बेर फेर बिग़ैड़ गेल अछि। जलस्तर बढ़ला स लगभग दर्जन भरि गाम मे बाढ़िक पानि बढ़ लागल अछि, जाहि स लोकक समस्या बढ़ी रहल अछि।

    अहि गाम मे सब स अधिक नाव के समस्या लोक के प्रभावित कय रहल अछि। नावक अपेक्षित व्यवस्था नइ हेबाक कारने ग्रामीण के आवागमन मे अत्यधिक परेशानी के सामना करय पड़ि रहलनि। कोसी के अहि निर्दयताक कारने सैकड़ों घर बाढ़ि में समा गेल अछि, लोक घर छोड़ी कय भगबाक लेल मजबूर भय रहलाह।

    प्रशासन के यदि बात करी त, हालहिं मे एनडीआरएफ के टीम तैनात कायल गेल छल, मुदा एनडीआरएफ के अधिकारी पानि मे व्याप्त किछु समस्याक बात कही क वापस लौट रहल छथि। प्रशासन द्वारा जारी आदेश के बावजूद क्षेत्र में गोताखोरक मौजूदगी निरादर अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here