दशमी बाँचब त ने सुकराती नाचब, कालीकान्त झा “तृषित”

    0
    303

    काठमांडू,नेपाल-मिथिला मिररः नेपालक प्रधानमन्त्री ओलीजीक डोली सत्ता सुखके नहिरा स उठि गेल छनि तत्काल कन्ना रोहट, नाज नखरा करैत किछु समय ठेलताह, मुदा एहि बेर माओवादी केन्द्रक अध्यक्ष प्रचँडजीक देयादी दोलत्ती सही निशाना पर लागल छैक। किछुए दिन पूर्व ओली जीक सरकार खसैत खसैत बाँचल छलनि जाहि मे चीनक धमकी त काज कएनहि छलैक ओलीजी सेहो, रँग बदलऽ मे माहिर प्रचँड के प्रलोभन दैत अपने रँग मे रँगिकऽ नेपाली काँग्रेस पार्टी के नीक धोबिया पाट मारि कऽ चितँग कऽ देने छलनि। २४ घन्टाक भीतरे मे धरमराइत सरकार के बचबैत सँसद मे सब स पैघ पार्टी नेपाली काँग्रेस के चौराहा पर नँगटे जकाँ ठाढ करा देने छलैक। एहि स ओलीजीक आत्मविश्वास वा अहँकार अकाश लागि गेल छलनि। यद्यपि सत्ता परिवर्तन के खेल मे भारत के दोष लागब त सर्बकालीन सदाबहार मुद्दा बनले रहैत छैक।

    एहि बेर त बुझाइत छैक जे काँग्रेसक सभापति देउवाजीक निकटस्थ सल्लाहकार सभ बहुत अनुभवी अा परिपक्व भगेल छनि आ देउवाजी सेहो कुशल खेलाडी. जकाँ मियाँ की जूती मिएँ के शिर” बला कहावत के चरितार्थ करैत प्रचँडेजीके प्रयोग करैत ओलीजी के बोली बन्द करैत बहिर्गमन के रस्ता पर ठाढ कऽ देने छनि। एहि स पूर्व के घटना मे चीन सेहो माओवादी पार्टी के खूलि कऽ धमकौने छलैक जे ओली के सत्ताच्यूत करब बर्दास्त नहि कएल जाएत जाहि पर सब सटकि गेल छलैक मुदा एहि बेर ओहो सँजीवनी बूटी काज नहि लागऽ बला बुझा रहल छैक। ओलीजीक भारत चीनक भ्रमण के बाद विशेषत: चीन भ्रमण के उपलब्धि के बखानक त ओरे अन्त नहि छैक। ट्रेन चलिए चुकल छैक हवा स बिजली निकालऽ मे पेट्रोलक उत्खनन मे, व्यापार प्रवर्द्धन मे अर्थात सब समस्या समाधान कऽ देतै।अन्तराष्ट्रिय जगत स सुलभ पारवहन शुरू भ जएतै एहि सँ सब नेपालीके खुसी हएब स्वाभाविके परन्तु वास्तविकता त किछु और छै। चीन सँ व्यापारक हेतु जे अत्यन्त सरल मार्ग छै तातोपानी नाका जे भूकम्प स बन्द भ गेल छैक तकरा खोलबाक हेतु चीन तैयार नहि छैक।

    दोसर ठाम मेलाक अवसर हेतु २५ दिनक हेतु आवागमनक हेतु जे अनुमती देने छलैक सेहो सात आठ दिन पहिनहि बन्द क देने छैक।केरूँग नाका जे चीन देखा रहल छैक तकर जटिलता स व्यापारी सब अत्यन्त निराश भ गेल अछि। सब सँ गम्भीर बात जे उत्तरी सीमा मे बहुत भू भाग नेपालक चीन हडपि कऽ ओहि ठाम नया निर्माण कार्य प्रारम्भ क देने छैक। नेपालक हुमला जिलाक लिमी गामक सीमा मे अतिक्रमण कएनहि छलैक आब और सँरचना थपि रहल छैक । २१ आषाढक कान्तिपुर दैनिक मे विस्तृत रूपे उल्लेख भेल छैक। ओलीजीक भ्रमण समय मे भेल नेपाल चीन समझौता स भविष्य मे की की भेटतै से त बादे मे बुझएतै मुदा एखन त वर्तमान मे तबाहीए देखा रहल छैक।एहने मे कहैत छैक जे दसमी बाँचब त ने सुकराती नाचब। एखने सब सत्यानाश भ जाएत तइओ सरकार भविष्यक ललिपप देखबैत कतेक दिन जनता के बहटारैत रहथिन्ह?

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here