विश्वक 100 गोट प्रभावशाली कुलपतिक सूचिमे शामिल भेलाह: प्रोफेसर कुशवाहा

    0
    219

    दरभंगा,मिथिला मिरर-निशांत कुमार झाः ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक लेल आजुक दिन बहुत महत्वपूर्ण अछि, आ निश्चित रूपहिं इ दिन स्वर्णिम इतिहासमे लिखल जाएत। ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक कुलपति प्रोफेसर साकेत कुशवाहाकें विश्वक 100 गोट प्रभावशाली कुलपतिक सूचीमे शामिल कैल गेलनि अछि, संगहि अहि उपलब्धिक लेल हुनका सम्मानित सेहो कैल गेलनि अछि। इ प्रथम बेर अछि जखन ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक कुनो कुलपतिकें अहि तरहक सम्मान सं सम्मानित कैल गेल होइन। ओना त प्रोफेसर कुशवाहाकें बहुतो सम्मान भेटल छैन्ह आ भेटतनि मुदा अहि सम्मान महत्व किछु विशेष अछि।
    वल्र्ड एजुकेशन कांग्रेसमे इ सम्मान 23 जून 2016कऽ कुलपति प्रोफेसर कुशवाहा कें देल गेलनि। वल्र्ड एजुकेशन कांग्रेस ताजलैंड एंड, बैंड स्टैंड, बांद्रा, मुंबईमे आयेजित कैल गेल छल। सम्मान भेटवाक सूचना पहुंचैत दरभंगामे कुलपतिकें बधाई देवाक सिलसिला शुरू भए गेल। मिथिलावासी अहि सम्मानकें पावि गौरवान्वित महसूस कए रहला अछि। संगहि प्रो. कुशवाहाकें समय विश्वविद्यालयमे इ सम्मान आएल अछि ताहि लेल विश्वविद्यालयमे सेहो बहुत बेसी प्रसन्नताक महौल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here