मिथिला एवं बिहारमे ठनका सं कम सं कम 55 व्यक्तिक मौत, यूपी आ झारखंड सेहो चपेटमे

    0
    201

    दिल्ली-मिथिला मिररः जेठकमे जखन बरखा होइत छैक त नहि मनुक्ख अपितु माल-जाल सहित पशु-पक्षी सेहो मुदित मन नाचि उठैत अछि। मुदा मंगलदिन बिहारक मिथिला क्षेत्र सहित झारखंड आ उत्तर प्रदेशमे बरखाक संग-संग ठनका रूपी मौत सेहो खसल आ एक, दू नहि अपितु 100 सं बेसी गोट लोककें कालरूपी ठनका अपन ग्रास बनेलक। बिहारक मिथिला क्षेत्रमे ठनका विशेष असर देखायल। एखन धरि बिहार सरकारक आंकड़ाक हिसाब सं कम सं कम 55 गोटेक मौत हेवाक पुष्टि कैल गेल अछि।

    कोन जिलामे कतेक लोकक भेल मृत्यु?

    बिहारक विभिन्न हिस्सा आ मिथिला क्षेत्रमे खसल ठनकामे कम सं कम 55 गोटेकें मृत्यु भए गेलनि। अहि ठनका सं पटना मे 4, रोहतास मे 5, बक्सर मे 3, भोजपुर मे 2, औरंगाबाद मे 4, नालंदा मे 4, सारण मे 3, कैमूर मे 3, समस्तीपुर मे 2, वाल्मिकी नगर मे 1, भागलपुर मे 2, सहरसा मे 3, मधेपुरा मे 1, मुंगेर मे 2, पूर्णिया मे 4 एवं कटिहार मे 3 व्यक्ति मौतक सूचना अछि। बहुत एहन आंकड़ा अछि जेकरा ऐबामे एखन समय लागत मुदा इ आंकड़ा आओर बेसी भए सकैत अछि।

    उपमुख्यमंत्री तेजस्वी यादव कहला जे सरकार अहि मामला पर गंभीर अछि आ संबंधित मंत्रीकें घटनास्थल तक भेजल जा रहल छैन आ ओ समुचित रिपोर्ट सरकार कें देताह। सरकार पूर्ण रूपसं पीड़ित परिवारक संग अछि।

    दोसर दिस ठनका सं यूपी मे 43 व्यक्ति जखन कि झारखंड मे सेहो बिजलीक करंट लगला सं एवं ठनका सं कम सं कम छह गोट व्यक्ति मौतक खबैर अछि। मौसम विभागक कहब छैक जे मानसून समय सं पहिने सक्रिय भए गेल अछि आ एहन मे अखन किछु दिन झमाझम बरखा हेवाक पूर्ण आसार बनैत अछि। संगहि मौसम विभाग दूर-दराज आ देहाती क्षेत्रमे लोककें इ नसीहत दय रहल अछि जे खराब मौसम मे कलम-गाछी नहि जाइथ कारण ठनका हरियर गाछ, हरक फाड़, इत्यादि सब पर बेसी चोट करैत अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here