18 जून कऽ फाइटर पायलट बनती भावना, एक साल बाद उड़ेती लड़ाकू विमान

    0
    274

    दिल्ली-मिथिला मिररः 18 जून अर्थात शनिदिन हैदराबाद कें निकट वायुसेना एकेडमीमे फ्लाइंग कैडेट भावना कंठ, मोहना सिंह आ अवनी चतुर्वेदी कें कमीशन देल जेतनि। मिथिलाक लेल अहि सं बेसी खुशी गप्प आओर कि हैत जे मिथिलाक बेटीकें आब लड़ाकू विमान उड़ेवाक लेल आधिकारिक मंजूरी भेटए जा रहलनि अछि। मूल रूप सं दरभंगाक घनश्यामपुर प्रखंड बाउर गामक रहनिहार तेज़ नारायण कंठ उर्फ मोहन कंठक बेटी भावना सहित तीन गोट महिला कैडेट कें शनिदिन वायुसेनामे कमीशन देल जेतनि। अहिकें बाद भावना, मोहना आ अवनी कें एडवांस ट्रेनिंग कें लेल कनार्टकक बीदर पठाओल जेतनि जाहिठाम हुनका लोकनिकें एक साल धरि हाॅक पर ट्रेनिंग देल जेतनि आ ओहिकें बाद ओ लोकैन्ह मिग, मिराज आ सुखोई सहित अन्य लड़ाकू विमान उड़ेवाक लेल तैयार भए जेतीह।
    अंतरराष्ट्रीय महिला दिवस पर अहि रक्षामंत्री मनोहर पर्रिकर आ वायुसेना अध्यक्ष एयर चीफ मार्शल अरूप राहा हिनका लोकनिक नामक ऐलान केने छलथि। अपने कें बता दी जे वायु सेनामे एखन 1500 महिला पायलट छथि जाहिमे सं 100 पायलट हेलीकाॅप्टर सहित परिवहन विमान उड़ा रहलीह अछि। महिला फाइटर पायलटक लेल वायु सेना 120 गोट कैडेट मे सं 37 गोटक चुनाव केने छल जाहिमे सं 3 गोट कैडेटकें अंतिम चुनाव भेल छलनि आ हुनका लोकनिकें हैदराबादक स्थित वायु सेना एकेडमीमे प्रशिक्षण हेतु पठाओल गेल छलनि। 18 जून कऽ आयोजित अहि कार्यक्रम मे रक्षामंत्री मनोहर पर्रिकर आ वायुसेना अध्यक्ष सेहो उपस्थित रहताह। भावनाक अहि सफलता पर नहि सिर्फ संपूर्ण मिथिलाकें अपितु पूरा भारतकें आई गर्व सं छाती फूलि रहल अछि। मिथिला मिरर दिस सं सेहो भावना, मोहना आ अवनीकें बहुत-बहुत बधाई आ उज्जवल भविष्यक कामना।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here