इंटरमीडियट टाॅपर घोटालाक मास्टर माइंड अमित कुमार उर्फ बच्चा रायक आत्म समर्पण

    0
    227

    दिल्ली-मिथिला मिररः बिहार इंटरमीडियट टाॅपर घोटालाक कथित मास्टर माइंड आ वैशालीक विशुन राॅय काॅलजेक प्रधानाचार्य अमित कुमार उर्फ बच्चा राय भगवानपुरमे अपना काॅलेजक सोंझा आत्म समर्पण कय देलक। लगातार चलि रहल छापामारीक बाद सं बच्चा रायक गिरफ्तारीक संकट मंडरा रलह छल आ ओहि सं बंचवाक लेल बच्चा इ डेग उठौलक।
    हालांकि मीडियाक सोंझा स्वयं कें निर्दोष कहैत बच्चा राय कहला जे ओ हुनका अहि मैमला सं कोनो लेना-देना नहि छन्हि आ ओ निर्दोष छथि। अहिठाम एक बेर फेर सं पुलिसक किरदार पर सवाल उठनाई स्वभाविक अछि जे अगर एसआईटी बच्चा राय कें नहि पकड़ि सकल त फेर ओहै बच्चा अपना काॅजेलक सोंझा आत्म समर्पण कोना कय दैत अछि? समर्पण कें बाद पुलिस बच्चाकें पूछताछक लेल अपना संग लए गेल अछि। ज्ञात हो जे बच्चा रायक संबंध लालू यादव सं बताओल जाइत अछि आ एहनमे बच्चा पर कोन तरहक कार्रवाई होइत अछि इ त समय बतायत।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here