मुजफ्फरपुरमे रोडरेजक घटना, पास नहि देला पर मारलक गोली

    0
    215

    दिल्ली-मिथिला मिररः बिहारमे एक बेर फेर सं गयाक आदित्य सचदेवक घटनाकें दोहराओल गेल मुदा अहि बेर घटनाक जगह दक्षिणी बिहारी नहि अपितु बिहार उत्तरी भाग अर्थात मिथिलाक मुजफ्फरपुरक मिठनपुरा थाना क्षेत्रमे साइर्ड लेवामे दिक्कत भेला पर मोटरसाईकिल सवार अपराधी एकटा युवककें गोली माइर कऽ गंभीर रूप सं घायल क देलक। गंभीर रूप सं घायल युवक कें निजी मां जानकी अस्पतालमे भर्ती कराओल गेल।
    घायल अनिल पासवान मीडिया सं बात करैत कहला जे हम सांझमे अपना घर सं निकली रोहुआ दिस जाइत रहि, अहि क्रममे लेप्रोसी मिशन चौक लग दू गोट युवक आयल आ हमरा गाड़ीकें ओवर टेक करय लागल। रास्ता सकड़ा कारणें साइड लेवामे दिक्कत भेलैक। जखन ओ सब आगू निकली गेल तखन पुनः वापिस आबि गाड़ीकें हमरा गाड़ीक आगू लगा देलक आ बेमतलबकें हमरा गाइर पढ़ए लागल। ओ सब ओतेक समसाएल छल कि गाइर पढ़ैत-पढ़ैत मोटरसाइकिलक टंकीक नीचा सं रिवाल्वर निकाली हमरा गोली माइर ओ सब सहज रूप सं शहर दिस भाइग गेल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here