दिल्ली, मिथिला मिरर न्यूज डेस्क/अमित आनंदः संघ लोक सेवा आयोग 2015 केर मेन के परीक्षा परिणामक घोषणा मंगलदिन कय देल गेल। आन बरखक भांति अहू बेर यूपीएससीमे मैथिली भाषाक छात्र-छात्राक धूम रहल। अहि बेर मैथिली सं 18 गोट छात्र-छात्रा मैथिली भाषा राखि संघ लोक सेवा आयोगक मेन परीक्षामे उतीर्ण भय मिथिलाक मान सम्मान बढ़ौलाह। सब सं खास बात इ रहल जे 18मे सं 15 गोट छात्र मंथन आईएएस अकेडमी सं छैथ।
मंथन आईएएस अकेडमी कें संस्थाक आ निदेशक डाॅ. शेखर झा मिथिला-मैथिलीक प्रखर अभियानी आ समाजसेवी अमित आनंद आ मिथिला मिरर के संपादक ललित नारायण झा केर संग विशेष बातचीतमे अहि बातक जानकारी दैत समस्त छात्र-छात्राक विषय मे जानकारी मुहैया करौलनि।
समस्त छात्र-छात्राक नाम आ रैंक अहि प्रकारेण अछिः
ऋषभ कुमार झा- 162
अंजनी कुमार झा- 165
रौशन कुमार झा- 352
प्रवीण कुमार- 445
रजनी झा- 591
विवके कुमार- 619
सोनम कुमार- 626
संतोष कुमार- 692
सतपाल राज- 706
अमित कुमार आनंद (उत्तर प्रदेश)- 763
कुमार गौरव- 831
प्रवीण प्रकाश- 846
कुमार सत्यम्- 858
आदित्य कुमार आनंद- 863
मनीष कुमार चैधरी- 908
बज्र भूषण पांडे्य- 925
अरविंद कुमार- 1050
जखन कि 18 गोट छात्रमे सं एकटा नाम नीरज कुमार झा केर नाम कें लय किछु तकनीकी गड़बड़ी अछि जेकरा संघ लोक सेवा आयोग शीघ्रहि हल करवाक कोशिश मे अछि जाहिकें बाद नीरज कुमार झा केर नाम सेहो अहि सूचीमे जुड़ी जाएत।
एकबेर फेर सं समस्त उतीर्ण छात्रक संग-संग मंथन आईएएस आ अन्य गुरूजन कें मिथिला मिरर कें तरफ सं बहुत-बहुत बधाई आ संगहि संग-संग नव भविष्यक लेल बहुत रास शुभकामना।
Khub khub badhai,lagal rahu eh kaj mein.
Jai bachha pass kalaini ya hunker gaon kai naam non jila kai chathin